Saturday 21 March 2020


स्त्री


स्त्री ,
जे धुरी होइत छथि
प्रत्येक घर के
जिनकर चारु कात
सुख-दुःख घुमैत रहैत छनि .
जिनकर जगनाई
जेना निष्प्राण शरीर में
श्वास केर प्रवेश भेनाई .
जेना,
भेट गेल हुए सब के
अपन अपन आजुक उद्देश्य.
जखन धरि घर में छथि
घर, घर रहैए.
आ,
जखन अपन कार्यस्थली
कतौ बाहर भ जाइन,
त ओतहुका रौनक
बनि जाइत छथि.
स्त्री कखनो सीता छथि
त, कखनो राधिक.
कखनो साक्षात् शक्ति
त कखनो माँ शारदा
हर रूप में जगत केर जीवनी बनि
अपन नेह सं सिंचित करैत छथि

अमूल्य मातृत्व निछावर करैत
सम्पूर्ण परिस्थिति केर
करेज में साईट
जखन ओ शक्ति  रूपेण
संग होइत छथि
तखन कोनों झंझावातक
स्पर्शो मात्र संभव नहिं.

लेखनी : कंचन झा
@सर्वाधिकार सुरक्षित  


No comments:

Post a Comment